...

1 views

यौ वोट करू


लोकतंत्र के पावन पर्व अछि
घर बैसि नहिं खोट करूं
देखु उत्सव चहुं दिस पसरल
वोट करूं यौ वोट करूं।
मुंह पर मास्क आ हाथ में पर्ची
संगहि में पहचान के अर्जी
सेनेटाइजर साथ धरु
वोट करूं यौ वोट करूं।
कोई वादा कऽ चलि जाएत
कोई जीत कऽ भागि पड़ैत
अहां मन नहिं छोट करूं
वोट करुं यौ वोट करूं।
कोई नोट कोई साड़ी बांटत
कोई सुखले भाषण छांटत
अहां नहि संकोच करूं
वोट करूं यौ वोट करूं।
आशा अछि जीवन कऽ आधार
वोट सऽ बदलते ई बिहार
अहां नहि हठ जोर करूं
वोट करूं यौ वोट करूं।
अप्पन मत अप्पन सरकार
मतदान सऽ बढ़ै बिहार
आलस तजि कऽ चोट करूं
वोट करूं यौ वोट करूं।