...

2 views

चलु अप्पन गाम ये सजनी।।।
चलु चलाई छी अप्पन गाम ये सजनी..२
बड़ मोन करैया जे डुबकी लगैती
मोनक मनोरथ सभ पूरा करि लेती
खैति भरी मन पाकल आम ये सजनी
चलू चलाई छी अप्पन गाम ये सजनी..२

बारी फुलवारी के साग तरकारी
तिलकोरक तरुआ आ साग गेंहारी
अप्पन पोखरी के माछ रहु बोआरी
टेंगरा आ पोठिया संग भात सोनहारी
घुमितौं सभ खेत आ खरहान ये सजनी
चलु चलाई छी अप्पन गाम ये सजनी...२

नेना सभ के पूरा हम गाम खुमैतों
पुरखा के डीह आ मकान सभ देखैतों
आमक बगाईचा लिचिक बगान
मकई के खेतक उचका मचान
खेती के देखैतौं सभ विधान ये सजनी
चलु चलाई छी अप्पन गाम ये सजनी..२

सुनैत छी गाम मे विकास बड़ भेलैया
कच्चा रोड सभ पक्का भ गेलैया
बिजली कटौती बड़ कम अब होई छै
सभक घर मोटर स पाइन अब चढ़ाई छै
देखिताहु जगमग लबका गाम ये सजनी
चालू चलाई छी अप्पन गाम ये सजनी..२

© Abhi